रौतहटके फतुवा बिजयपुरमे आर्थिक अनियमितता भेल
बजेट दुरुपयोग कएले कहइत स्थानियसब नगरपालिका घेराउ कएले साथे सडकमे उत्रल हए ।

२०७७ साउन १ बिहीबार, बिहान ९:१६ बजे१ मिनेट पढाइ

न्यूज ब्यूरो, रौतहट । फतुवा बिजयपुर नगरपालिकावडा के न ७ फतुवामे वडा अध्यक्षके मिलोमतोमे राहत न बाँडले राहतके नाम मे लाखौं रुपैया अनियमितता कएले वडा न ७ के युवा नेता मुकेश यादव आरोप लगएले हए ।
वडा न ७ के लेल नगरपालिका ७० लाख बजेट बिनियोजन कएले रहे । इ बजेट कवन शिर्षकमे केतना खर्च भेल कहइत वडा अध्यक्षके बारम्बार कहइत अभितक बजेट कवन शिर्षकमे खर्च भेल कहइत सार्वजनिक न कएले मे वडा ७ के जनतासब दुखेसो पोखले हए ।
७० लाख बजेट कवन शिर्षकमे खर्च भेल कहइथ फतुवा बिजयपुर नगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकिय अधिकृत सुरेन्द्र प्रधान समक्ष लिखित निवेदन देला समेत कवनो किसिमके सुनुवाई न भेल प्रती स्थानियसब आक्रोशित भेल आजु नगरपालिकाके कार्यालय घेराउ समेत कएले रहे । वडा न ७ के वडा अध्यक्ष सुर्य नारायण खाँव थारु सङ्हे सम्पर्क कएलाबाद सम्पर्कमे न आयल हए ।
रौतहटके फतुवा बिजयपुर नगरपालिकामे अनियमितता भेल कहइत स्थानियसब बिरोध प्रदर्शन कएले हए । बहुत सञ्चार माध्यममे इ नगरपालिका हि नक्कली कागज बनाके आर्थिक अनियमितता कएले खुलासा कएलाबाद बुधबार स्थानियसब प्रदर्शन कएले छत ।
काम हि नक रके नक्कली कागजातके आधारमे नगरपालिकाके बजेट दुरुपयोग कएले कहइत स्थानियसब नगरपालिका घेराउ कएले साथे सडकमे उत्रल हए ।
नगरपालिकाके बाहर होटल औरी विभिन्न जगहमे बैइठकके काम नकरके कागज मिलवाइत बजेट निकासा मे लागल इसबके आरोप रहल हए । स्थानियके बिरोधके कारण इ नगरपालिकामे अख्तियार औरी प्रशासन समेत निगरानी बढाएले हए ।
बुधबार प्रदर्शनकारीसब कोरोनाके नाममे कएले खर्च सार्वजनिक करु , काम न कएले नक्कली कागजात बनावेके नमिली , होटल औरी अन्य जगमे चेक काटेके काम बन्द करु कहइत जैसन नारा औरी प्ले कार्ड बोकके बिरोध प्रदर्शन कएले रहे ।
कस्तो महसुस भयो ?
प्रतिक्रिया दिन साइन इन गर्नुहोस्
















टिप्पणी
आफ्नो विचार राख्न साइन इन गर्नुहोस्।
लोड हुँदै…